Nepal Newsbox
२०८३ वैशाख ३ गते , बिहीबार
Nepal Newsbox
जय नेता!! (मैथिली कविता )
जय नेता!!
नेता सब हिरो भगेल,
गाम-घर ओहने रहिगेल।
पोस्टर पर नाम रहि गेल,
दिलक भरोसा टुटि गेल।
सभहक वादा सपना छल,
बदलै के उमेद अपना छल।
कथनी मीठ, करनी खटाइल,
जनता फेर ठकाइल।
पुल- सडक, विद्यालयक बात,
भोटक दिन भेटल सिर्फे जात।
अगिला दिन फिन भूइल गेल,
नेता सब हिरो भगेल।
गामक चुल्हा धुआँ उठैत,
माइ सभ अबहूँ आस बटैत।
हम सब सोचैत छि– के बाँचल?
जय नेता!! सब हिरो भगेल।